Monday 29 June 2015

आई असार १५ अर्थात धान दिवस

असार १५, जनकपुरधाम । आई असार १५ अर्थात धान दिवस । धनुषा सहितक देशके विभिन्न स्थानमे  धान दिवस धान रोपनी क मनाओल जारहल अछि ।

संयुक्त राष्ट्रसङ्घ सन् १९६६ के भुकमरीसँ मुक्त नारासहित धानबालीके वर्ष बालीके रूपमे मनावयके घोषणा केने छल । नेपाल विसं २०६२ सँ असार १५ के धान दिवसके रूपमे मनाबिरहल अछि ।
वर्षेपिच्छे कृषिमे परनिर्भरता बढैत गेलाक कारण  उत्पादन बढावयके उद्देश्यसँ नेपालमे धान दिवस मनावय लागल अछि ।
धानबालीके लेल योग्य कूल करिब १४ लाख २५ हजार हेक्टर जमिनमेसँ असार १४ धरि ८ प्रतिशतमात्रे रोपनी भेल कृषि मन्त्रालयके सहप्रवक्ता शङ्करप्रसाद सापकोटा जानकारी देलन्हि ।