Tuesday 5 August 2014

अपडेटः सिन्धुपाल्चोकमे १२३गोटेके कएल गेल मृत घोषित, राहत वितरण कएल जा रहल

सिन्धुपाल्चोकके माँखा गाविसके जुरे भञ्ज्याङ स्थित सुनकोशी नदिमे भेल घटनामे बेपत्ता रहल १२३ गोटेके स्थानिय प्रशासन मृत घोषित केलक अछि ।

बितल शुक्रक राति पहाड ढहिकऽ सुनकोशी नदिके पानिकऽ बहाब रुकलाक बाद ‍ओत्तय भेल घटनामे बेपत्ता रहल आ भेटल शव सहित कुल १२३ गोटेके मृत मानिकऽ स्थानिय प्रशासन राहत प्रक्रिया आगु बढौने स्थानिय प्रमुख जिल्ला अधिकारी गोपाल प्रसाद पराजुली जानकारी देलन्हि अछि ।
घटनामे मृत्यु भेलसभहक परिवारके ४० हजार रुपैया राहत स्वरुप देवाक निर्णय कएल गेल अछि तऽ घर दहागेलसभके प्रति घर ५ हजार आ घाईलसभके ईलाजक पुर्जीके हिसाबसँ राहत वितरण कएल जा रहल स्थानिय डिएसपी भरत बहादुर बोहराके उदैत करैत सिन्धुपाल्चोक सहकर्मी ब्रम्हानन्द ठाकुर जनौलन्हि अछि । एम्हर उद्धोग बाणिज्य सँघ सिन्धुपाल्चोक राहत वितरणके लेल कुल ४८ लाख रुपैया स्थानिय बासी ब्यापारी आ कार्यालयसभसँ सँकलन कएने अछि ।
बान्ह जँका नदी घेराएलाबाद बनल तलाउके पानिऽक निकास अखनोधरि होबऽ नहि सकल अछि । सेना काल्हि २ टा बम बिष्फोट क निकास देबाक प्रयास केने छल । आइयो नेपाली सेनासभ ओईठाम बिष्फोट कऽ नदी खुलाबऽमे लागल बताओलगेल अछि । पहाड ढहिकऽ नदीमे बडका चटान खसलास बिष्फोटमे दिक्कत भऽरहल नेपाली सेनाक कहब अछि । बान्ह करिब ५०० मिटर उँच रहलाक कारण ओईठाम तलाउ जेहन अवस्था रहल अछि आ नदी खुलाबऽमे समय लागिरहल जनाओलगेल अछि । स्थानिय जनताके मुताबिक १५६ गोटे सम्पर्क बिहिन रहितो प्रशासन १२३ गोटेके मात्र बेपत्ता रहल सुचिमे राखि राहत बितरण कऽ रहल अछि । अखन ओतय स्थानिय प्रशासन आ सुरक्षाकर्मी बेपत्ता भेलसभहक खोजतलाश के सँगहि नदी खुलाबऽमे लागल अछि । जल्दीए नदीके पानिकऽ निकास नहि भेल तऽ भारतकऽ दरभँगा धरि क्षति पहुँच सकबाक अधिकारीसभ जनौलन्हि अछि ।
अखन ओतय एक्साभेटरसभहक मदतसँ ढहल पहाडके हटाबके आ मृतकसभके खोजबाक काज कएल जारहल अछि ।
उद्धार कार्यमे नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ स्थानियबासी जुटल अछि ।
तहिना सुनकोशीके ताण्डबसँ कोदारी नाका बन्द भेलासँ नेपाल चिनके तातोपानी नाका ठप्प भेल अछि । अहिके देखैत अरनिको राजमार्गके बैकल्पिक बाट बना कऽ तातोपानी नाकाके चिनसँ जोडबाक प्रयास कएल जएबाक निर्णय भेल अछि । अहि नाकासँ दैनिक करौडौ राजश्व उठैत आएल छल ।

सुनकोशी नदी घेराएलाबाद ७ टा जलबिद्धुत आयोजनासँ होइत आएल ६७ मेगावाट बिद्धुत उत्पादन ठप्प भेल अछि ।२.५ मेगावाटके सानिमा हाइड्रोपावर४५ मेगावाटके भोटेकोशी१० मेगावाटके सुनकोशी३ मेगावाटके चाकुखोला१.८ मेगावाटके मध्यचाकुखोला आ १.६ मेगावाटके निचला चाकुखोला सहित ३ मेगावाटके भैरवकुण्ड जलविद्यूत आयोजनासँ विद्यूत उत्पादन अवरुद्ध भेल नेपाल विद्युत प्राधिकरण जनौलक अछि  । जाहि कारणसँ थप डेढ घण्टा लोडसेडिङ बढ सकबाक प्राधिकरण जनौलक अछि । जिल्लाके ५५ गाविसमे विद्युत् आ टेलिफोन लाइन बन्द भेल अछि तऽ काठमाडौँसँ खासाधरि ओछयाओल अप्टिकल फाइभरके लाइन सेहो खराब भेल बताओलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment