Showing posts with label Maithili News. Show all posts
Showing posts with label Maithili News. Show all posts

Thursday, 14 August 2014

सरकार १२ नेपाली एक चिहानके प्रदर्शन करबाक अनुमति देलक

दश बर्ष आगु ईराकमे घटल एकटा घटना उपर बनल फिल्म १२ नेपाली एक चिहानके सरकार प्रदर्शन करबाक अनुमति देलक अछि ।
प्रदर्शन रोकय किछ महिना आगु विरोध भेलाबाद सेन्सर बोर्डके पदाधिकारीसभ सेहो ओ फिल्मके सेन्सर नहि करयके अडान लेने छल । 
फिल्मके दुटा दृश्य उपर ब्लर करयके निर्देशन आ गार्जियन विना बच्चासभके फिल्म देखावय नहि पावयके निर्णय बोर्ड कएने फिल्मक निर्देशक प्रधान जानकारी देलन्हि अछि ।
पाँच बर्षक अध्ययन आ मेहनत लगाकऽ बनाओलगेल ओ फिल्मके सम्पूर्ण  प्रक्रिया पहुँचाकऽ मात्र सुटिङ कएलगेल निर्देशक प्रधानक दाबी छन्हि । ओ अहि फिल्मके ड्रिम  प्रोजेक्ट सेहो कहने छथि ।
२०६१ साल भादव १५ गते ईराकामे मारलगेल १२ नेपाली युवासभके सत्य कथाके फिल्म देखाओत मुदा मारलगेल युवासभके परिवारके आग्रह बमोजिम भादव १५ मे फिल्म प्रदर्शन नहि करय दुनु पक्षबीच सहमति भेल अछि ।
आवय लागल अगहन महिनामे प्रदर्शन करबाक लक्ष्य राखल गेल ओ फिल्मके आसिन महिनामे हङकङ, मकाऊ आ सिंगापुरमे सेहो प्रदर्शन करबाक तयारी भऽरहल निर्देशक जानकारी देलन्हि ।

Monday, 11 August 2014

गुणस्तरहिन काम भऽरहल कहैत जनकपुर युथ डेवलपमेन्ट फोर्सक आपत्ती

धैर्य कान्त दत्तजनकपुरधामसाउन-२७ । गुणस्तरहिन काम भऽ रहल कहैत जनकपुर युथ डेवलपमेन्ट फोर्स सडक निर्माण कार्य बन्द करौलक अछि । जनकपुरक रामानन्द चोक- जानकी मंदिर सडक खण्डमे सडक कार्यालय करैत आएल पिच गुणस्तरहिन रहल कहैत फोर्सक युवासभ रबिदिन साँझेसँ निर्माण कार्य बन्द करौलक अछि ।
सडक पक्की करैत काल अपनाओल जाएबला मापदण्ड नहि अपनाओल गेलासँ निर्माण कार्य बन्द करौने फोर्सक संयोजक समिति सदस्य सरोज मिश्रक दावी छन्हि । मिश्र सडकमे रहल बालु उपर पक्की कऽरहल देखलाबाद अपनेसभ निर्माणक काज बन्द करय लगौने जानकारी देलन्हि ।
फोर्सक संयोजक समितिक दोसर सदस्य ज्ञानेन्द्र झा ज्ञानु गुणस्तरहिन तरिकासँ पक्की भऽ रहल विषयमे सडक कार्यालयके प्रमुख देवेन्द्र साहके जानकारी कराचुकल बतौलन्हि । प्रमुख साह निर्माण कार्यके अनुगमन करय प्राविधीकके एक टोली पठाओत बातक जानकारी झा देलन्हि ।

प्राविधीकसभ अनुगमन कएलाक बाद मात्रे निर्माण कार्य आगु बढाबऽके बात साह कहने फोर्स जनौलक अछि ।

Wednesday, 6 August 2014

अपडेटः सिन्धुपाल्चोकमे फेउरसँ दोसर पहाड खसयके सम्भावना, सुनकोशीके रुकावट खोलयके प्रयास जारी


साउन २२ गते, सिन्धुपाल्चोक, ब्रम्हानन्द ठाकुर । सिन्धुपाल्चोकके माँखा गाविसके जुरे भञ्ज्याङ स्थित सुनकोशी नदिमे भेल घटनाके एक सप्ताह नहि बितैत फेउरसँ दोसर पहाड ढहयके खतरा बनल अछि ।
ई दोसर पहाड पहिने खसल ठामक माँखा गाविसके ५ नम्बर वडामे खसके सम्भावना रहल विज्ञसभ जनौलक अछि । ई पहाड ढहलाक बाद माँखा गाविसके वाड नम्बर ४ के १८ टा घर पुर्णरुपसँ डुबिजेबाक खतरा बनल स्थानिय प्रमुख जिल्ला अधिकारी गोपाल प्रसाद पराजुली जानकारी देलन्हि अछि ।
बितल शुक्रक राति पहाड ढहिकऽ सुनकोशी नदिके पानिकऽ बहाब रुकलाक बाद ‍ओत्तय भेल घटनामे बेपत्ता रहल कुल १२३ गोटेके मृत मानिकऽ स्थानिय प्रशासन राहत प्रक्रिया आगु बढाचुकल अछि ।

घटनामे मृत्यु भेलसभहक परिवारके ४० हजार रुपैया राहत स्वरुप देवाक निर्णय कएल गेल अछि तऽ घर दहागेलसभके प्रति घर ५ हजार आ घाईलसभके ईलाजक पुर्जीके हिसाबसँ राहत वितरण कएल जा रहल स्थानिय डिएसपी भरत बहादुर बोहराके उदैत करैत सिन्धुपाल्चोक सहकर्मी ब्रम्हानन्द ठाकुर जानकारी देलन्हि अछि । एम्हर उद्धोग बाणिज्य सँघ सिन्धुपाल्चोक राहत वितरणके लेल कुल ४८ लाख रुपैया स्थानिय बासी ब्यापारी आ कार्यालयसभसँ सँकलन कएने अछि तऽ सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारीके अध्यक्षतामे गठन भेल राहत वितरण टोली कुल ९१ लाख नगद सँकलन कएने अछि ।
बान्ह जँका नदी घेराएलाबाद बनल तलाउके पानिऽ बान्हके उपरसँ बहितो पुरा पानिकऽ निकास अखनोधरि होबऽ नहि सकल अछि । पुर्ण रुपसँ पहिने जका होबयमे अखनो एक हप्ता लागत उद्धारमे सँलग्न सेनाके कहब अछि । ओना बिच बिचमे सेना बम बिष्फोट क निकास देबाक प्रयासमे लागल बताओल गेल अछि । आइयो नेपाली सेनासभ ओईठाम बिष्फोट कऽ नदी खुलाबऽके प्रयासके निरन्तरता देत जानकारीमे आएल अछि । पहाड ढहिकऽ नदीमे बडका चटान खसलास बिष्फोटमे दिक्कत भऽरहल नेपाली सेनाक कहब अछि । बान्ह करिब ५०० मिटर उँच रहलाक कारण ओईठाम तलाउ जेहन अवस्था रहल अछि आ नदी खुलाबऽमे समय लागिरहल जनाओलगेल अछि । स्थानिय प्रशासन १२३ गोटेके बेपत्ता रहल सुचिमे राखि तत्काल राहत बितरण कऽ रहल अछि । अखनधरि ओईठाम ३४ गोटेके शव भेटचुकल अछि । अखन एक्साभेटर आ डोजरसभहक मदतसँ ढहल पहाडके हटाबके आ मृतकसभके खोजबाक काज कएल जारहल अछि ।
उद्धार कार्यमे नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ स्थानियबासी जुटल अछि ।
तहिना सुनकोशीके ताण्डबसँ अरनिको राजमार्गके करिब डेढ किलोमिटर सडक दहागेलासँ कोदारी नाका बन्द भेल अछि । जाहि कारण नेपाल चिनके तातोपानी नाका ठप्प भेल अछि । अहिके देखैत अरनिको राजमार्गके बैकल्पिक बाट बना कऽ तातोपानी नाकाके चिनसँ जोडबाक प्रयास कएल जएबाक प्रयास भऽ रहल अछि । अहि नाकासँ दैनिक करौडौ राजश्व उठैत आएल छल ।

सुनकोशी नदी घेराएलाबाद ७ टा जलबिद्धुत आयोजनासँ होइत आएल ६७ मेगावाट बिद्धुत उत्पादन सेहो ठप्प भेल नेपाल विद्युत प्राधिकरण जनौलक अछि । जाहि कारणसँ थप डेढ घण्टा लोडसेडिङ बढ सकबाक प्राधिकरण जनौलक अछि । जिल्लाके ५५ गाविसमे विद्युत् आ टेलिफोन लाइन बन्द भेल अछि तऽ काठमाडौँसँ खासाधरि ओछयाओल अप्टिकल फाइभरके लाइन सेहो खराब भेल बताओलगेल अछि ।

Tuesday, 5 August 2014

अपडेटः सिन्धुपाल्चोकमे १२३गोटेके कएल गेल मृत घोषित, राहत वितरण कएल जा रहल

सिन्धुपाल्चोकके माँखा गाविसके जुरे भञ्ज्याङ स्थित सुनकोशी नदिमे भेल घटनामे बेपत्ता रहल १२३ गोटेके स्थानिय प्रशासन मृत घोषित केलक अछि ।

बितल शुक्रक राति पहाड ढहिकऽ सुनकोशी नदिके पानिकऽ बहाब रुकलाक बाद ‍ओत्तय भेल घटनामे बेपत्ता रहल आ भेटल शव सहित कुल १२३ गोटेके मृत मानिकऽ स्थानिय प्रशासन राहत प्रक्रिया आगु बढौने स्थानिय प्रमुख जिल्ला अधिकारी गोपाल प्रसाद पराजुली जानकारी देलन्हि अछि ।
घटनामे मृत्यु भेलसभहक परिवारके ४० हजार रुपैया राहत स्वरुप देवाक निर्णय कएल गेल अछि तऽ घर दहागेलसभके प्रति घर ५ हजार आ घाईलसभके ईलाजक पुर्जीके हिसाबसँ राहत वितरण कएल जा रहल स्थानिय डिएसपी भरत बहादुर बोहराके उदैत करैत सिन्धुपाल्चोक सहकर्मी ब्रम्हानन्द ठाकुर जनौलन्हि अछि । एम्हर उद्धोग बाणिज्य सँघ सिन्धुपाल्चोक राहत वितरणके लेल कुल ४८ लाख रुपैया स्थानिय बासी ब्यापारी आ कार्यालयसभसँ सँकलन कएने अछि ।
बान्ह जँका नदी घेराएलाबाद बनल तलाउके पानिऽक निकास अखनोधरि होबऽ नहि सकल अछि । सेना काल्हि २ टा बम बिष्फोट क निकास देबाक प्रयास केने छल । आइयो नेपाली सेनासभ ओईठाम बिष्फोट कऽ नदी खुलाबऽमे लागल बताओलगेल अछि । पहाड ढहिकऽ नदीमे बडका चटान खसलास बिष्फोटमे दिक्कत भऽरहल नेपाली सेनाक कहब अछि । बान्ह करिब ५०० मिटर उँच रहलाक कारण ओईठाम तलाउ जेहन अवस्था रहल अछि आ नदी खुलाबऽमे समय लागिरहल जनाओलगेल अछि । स्थानिय जनताके मुताबिक १५६ गोटे सम्पर्क बिहिन रहितो प्रशासन १२३ गोटेके मात्र बेपत्ता रहल सुचिमे राखि राहत बितरण कऽ रहल अछि । अखन ओतय स्थानिय प्रशासन आ सुरक्षाकर्मी बेपत्ता भेलसभहक खोजतलाश के सँगहि नदी खुलाबऽमे लागल अछि । जल्दीए नदीके पानिकऽ निकास नहि भेल तऽ भारतकऽ दरभँगा धरि क्षति पहुँच सकबाक अधिकारीसभ जनौलन्हि अछि ।
अखन ओतय एक्साभेटरसभहक मदतसँ ढहल पहाडके हटाबके आ मृतकसभके खोजबाक काज कएल जारहल अछि ।
उद्धार कार्यमे नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ स्थानियबासी जुटल अछि ।
तहिना सुनकोशीके ताण्डबसँ कोदारी नाका बन्द भेलासँ नेपाल चिनके तातोपानी नाका ठप्प भेल अछि । अहिके देखैत अरनिको राजमार्गके बैकल्पिक बाट बना कऽ तातोपानी नाकाके चिनसँ जोडबाक प्रयास कएल जएबाक निर्णय भेल अछि । अहि नाकासँ दैनिक करौडौ राजश्व उठैत आएल छल ।

सुनकोशी नदी घेराएलाबाद ७ टा जलबिद्धुत आयोजनासँ होइत आएल ६७ मेगावाट बिद्धुत उत्पादन ठप्प भेल अछि ।२.५ मेगावाटके सानिमा हाइड्रोपावर४५ मेगावाटके भोटेकोशी१० मेगावाटके सुनकोशी३ मेगावाटके चाकुखोला१.८ मेगावाटके मध्यचाकुखोला आ १.६ मेगावाटके निचला चाकुखोला सहित ३ मेगावाटके भैरवकुण्ड जलविद्यूत आयोजनासँ विद्यूत उत्पादन अवरुद्ध भेल नेपाल विद्युत प्राधिकरण जनौलक अछि  । जाहि कारणसँ थप डेढ घण्टा लोडसेडिङ बढ सकबाक प्राधिकरण जनौलक अछि । जिल्लाके ५५ गाविसमे विद्युत् आ टेलिफोन लाइन बन्द भेल अछि तऽ काठमाडौँसँ खासाधरि ओछयाओल अप्टिकल फाइभरके लाइन सेहो खराब भेल बताओलगेल अछि ।

सुनकोशी बाढिसँ पीडितसभहक लेल अख्तियारद्धारा ४ लाखसँ बेसीके सहयोग

२० साउन, काठमाडौं । अख्तियार दुरूपयोग अनुसन्धान आयोगक प्रमुख आयुक्त लोकमान सिंह कार्कीसहित कर्मचारीसभ सुनकोसी बाढि पीडितसभके ४ लाखसँ बेसी रकम सहयोग केलनि अछि ।
प्रमुख आयुक्त कार्की ७ दिन, आयुक्त केशव बराल तीन दिनक आ सचिव दु दिनक तलब सहयोग केलनि अछि । अहिना आयोगके क्षेत्रीय आ सम्पर्क कार्यालयके सेहो कर्मचारी एवं विज्ञसभ १ दिन बरावरके तलबसँ सहयोग केलनि अछि ।
कुल ४ लाख १२ हजार ९०८ रूपैयाँ प्रधानमन्त्री दैवि प्रकोप तथा उद्धार एवं राहत कोष मार्फत राहत रकम सहयोग प्रदान करयके निर्णय कएलगेल अख्तियार जनौलक अछि ।

सुनकोशी नदीमे भेल घटनाक किछ तस्वीरसभ

































Monday, 4 August 2014

अपडेटः सिन्धुपाल्चोकमे मृत्यु होबयबलाके सँख्या ३३ पहुँचल, चिनसँ जोडयलेल बैकल्पिक बाटक निर्माण कएल जाएत

सिन्धुपाल्चोकके माँखा गाविसके जुरे भञ्ज्याङ स्थित सुनकोशी नदिमे भेल घटनामे मृत्यु होवयबलाके सँख्या ३३ पहुँचल अछि ।
बितल शुक्रक राति पहाड ढहिकऽ सुनकोशी नदिके पानिकऽ बहाब रुकलाक बाद ‍ओत्तय भेल घटनामे मृत्यु होवयबलाके सँख्या ३३ पहुँचल ओत्तुका स्थानिय प्रशासन जनौलक अछि ।
घटनामे ९ गोट शव तत्काले शनि दिन भेटल छल तऽ बाँकीके शव रबि आ  सोमिदन बरामद भेल अछि । घटनामे मृत्यु भेलसभहक परिवारके ४० हजार रुपैया राहत स्वरुप देवाक निर्णय कएल गेल स्थानिय डिएसपी भरत बहादुर बोहराके उदैत करैत सहकर्मी ब्रम्हानन्द ठाकुर जनौलन्हि अछि ।
बान्ह जँका नदी घेराएलाबाद बनल तलाउमे डुबिकऽ करिब २०० घर जलमग्न भेल अछि तऽ १२५ सँ बेसी गोटे सम्पर्क बिहिन भेल अछि । सम्पर्क बिहिन भेलसभहक मृत्यु भेल होब सकबाक आशँका स्थनिय प्रशासन कऽ रहल अछि । अखन ओतय पानिकऽ बहाब सेहो कम भेलाक कारण स्थानिय प्रशासन आ सुरक्षाकर्मी बेपत्ता भेलसभहक खोजतलाश तिब्र बनौने अछि ।
अहिना नेपाली सेना घटनामे घाइल भेलसभके हेलिकप्टरसँ काठमाण्डौ काभ्रे आ सिन्धुपाल्चोकके चौतारा अस्पतालमे इलाजक लेल पठाबिरहल अछि तऽ मृत्यु भेलसभहक शवके पोष्टमार्टमके लेल चौतारा अस्पताल पठौने अछि । सुनकोशीके रुकावट दुर करय लेल सेना हेलिकप्टरसँ २ टा बम बिष्फोट केलाक बादो कोनो असर नहि परलाबाद अखन ओतय एक्साभेटरसभहक मदतसँ ढहल पहाडके हटाबके काज कएल जारहल अछि । अहिबिच आई नेपाली सेना बिष्फोट क कऽ फेउरसँ पानिकऽ निकास देवाक नियार कएने अछि । बिच बिचमे पानि सेहो परिरहलाक कारण उद्धार करयमे दिक्कत भऽरहल नेपाली सेना जनौलक अछि ।
सुनकोशीमे आएल रुकावटसँ उदयपुर खोटाङ सहितक जिल्लामे सेहे बाढि आवयके खतरा बढल अछि तऽ पुर्वमे रहल कोशी नदीमे सेहो जलस्तर बढिरहल जनाओलगेल अछि । सुनकोशीके खतराके देखैत स्थानिय प्रशासन खतरा होबयसकबाक ठामसभमे उच्च सतर्कता अपनबैत घरसभ खाली कराऽ सुरक्षित स्थानसभमे जाएके लेल माइकिङ कएने बताओलगेल अछि ।
उद्धार कार्यमे नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ स्थानियबासी जुटल अछि । एम्हर, विदेशी पर्यटकके लेवय गेल फिस्टेल एयरके विमान अवतरण करय काल पछिला पँखासँ घेउँट कटा कऽ एक ३१ बर्षक एक युवकके मृत्यु भेलाबाद फिस्टेल एयरके चालक सुजन श्रेष्ठ चौतारा प्रहरीके नियन्त्रणमे अछि ।

तहिना सुनकोशीके ताण्डबसँ कोदारी नाका बन्द भेलासँ नेपाल चिनके तातोपानी नाका ठप्प भेल अछि । अहिके देखैत अरनिको राजमार्गके बैकल्पिक बाट बना कऽ तातोपानी नाकाके चिनसँ जोडबाक प्रयास कएल जएबाक निर्णय भेल अछि । अहि नाकासँ दैनिक करौडौ राजश्व उठैत आएल छल ।

सिन्धुपाल्चोकमे मृत्यु होबयबलाके सँख्या २७ पहुँचल, बेपत्तासभहक खोजतलाश तिब्र


सिन्धुपाल्चोकके माँखा गाविसके जुरे भञ्ज्याङ स्थित सुनकोशी नदिमे भेल घटनामे मृत्यु होवयबलाके सँख्या २७ पहुँचल अछि ।
बितल शुक्रक राति पहाड ढहिकऽ सुनकोशी नदिके पानिकऽ बहाब रुकलाक बाद ‍ओत्तय भेल घटनामे मृत्यु होवयबलाके सँख्या २७ पहुँचल ओत्तुका स्थानिय प्रशासन जनौलक अछि ।
घटनामे ८ गोट शव तत्काले शनि दिन भेटल छल तऽ बाँकी १ टा शव रबि आ १७ टा सोमिदन बरामद भेल स्थिनय डिएसपी भरत बहादुर बोहराके उदैत करैत सहकर्मी ब्रम्हानन्द ठाकुर जनौलन्हि अछि ।
बान्ह जँका नदी घेराएलाबाद बनल तलाउमे डुबिकऽ करिब २०० घर जलमग्न भेल अछि तऽ १५० सँ बेसी गोटे सम्पर्क बिहिन भेल अछि । सम्पर्क बिहिन भेलसभहक मृत्यु भेल होब सकबाक आशँका स्थनिय प्रशासन कऽ रहल अछि । बितल ३ दिनमे ओतय पानिकऽ बहाब सेहो कम भेलाक कारण स्थिनय प्रशासन आ सुरक्षाकर्मी बेपत्ता भेलसभहक खोजतलाश तिब्र बनौने अछि ।
अहिना नेपाली सेना घटनामे घाइल भेलसभके हेलिकप्टरसँ काठमाण्डौ काभ्रे आ सिन्धुपाल्चोकके चौतारा अस्पतालमे इलाजक लेल पठाबिरहल अछि तऽ मृत्यु भेलसभहक शवके पोष्टमार्टमके लेल चौतारा अस्पताल पठौने अछि । सुनकोशीके रुकावट दुर करय लेल सेना हेलिकप्टरसँ २ टा बम बिष्फोट केलाक बादो कोनो असर नहि परलाबाद अखन ओतय एक्साभेटरसभहक मदतसँ ढहल पहाडके हटाबके काज कएल जारहल अछि । बिच बिचमे पानि सेहो परिरहलाक कारण उद्धार करयमे दिक्कत भऽरहल नेपाली सेना जनौलक अछि ।
सुनकोशीमे आएल रुकावटसँ उदयपुर खोटाङ सहितक जिल्लामे सेहे बाढि आवयके खतरा बढल अछि तऽ पुर्वमे रहल कोशी नदीमे सेहो जलस्तर बढिरहल जनाओलगेल अछि । सुनकोशीके खतराके देखैत स्थानिय प्रशासन खतरा होबयसकबाक ठामसभमे उच्च सतर्कता अपनबैत घरसभ खाली कराऽ सुरक्षित स्थानसभमे जाएके लेल माइकिङ कएने बताओलगेल अछि ।
उद्धार कार्यमे नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ स्थानियबासी जुटल अछि । एम्हर, विदेशी पर्यटकके लेवय गेल फिस्टेल एयरके विमान अवतरण करय काल पछिला पँखासँ घेउँट कटा कऽ एक ३१ बर्षक एक युवकके मृत्यु भेल अछि । मृत्यु भेलाबाद फिस्टेल एयरके चालकके प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अछि । चालक काठमाण्डौ सिनामँगलके सुजन श्रेष्ठ रहल बताओल गेल अछि ।

तहिना सुनकोशीके ताण्डबसँ कोदारी नाका बन्द भेलासँ नेपाल चिनके तातोपानी नाका ठप्प भेल अछि । अहि नाकासँ दैनिक करौडौ राजश्व उठैत आएल छल ।

Tuesday, 10 January 2012

कांग्रेस आ एमालेके कहने जका संविधान नहि बनतः गजुरेल


२६ पुसकाठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक सचिव सीपी गजुरेल काग्रेस आ एमाले कहने जका संविधान कोनो हालतमे बनय नहि देव दावी कएलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे सचिव गजुरेल संसदीय ब्यवस्था कोनो हालतमे नहि मानब स्पष्ट कएलनि । ओ कहलनि-संसदीय ब्यवस्था मानयके रहित तऽ २०५२ सालमे हतियार उठेबे नहि करितौ । राजा हमरासबहक लेल समस्या नहि छल ।

ओ पार्टी उठौने संविधानके अन्तरबस्तुके  कोनो हालतमे नहि छोडब स्पष्ट कएलनि । क्रान्तिकारी भूमिसुधार लागु कऽ क बेसी भेल जमिन भूमिहिन आ सुकुम्बासीके वितरण करयकेआत्मनिर्णयके अधिकार सहितक संघीयतामजदुर आ किसानके सबसँ बेसी अधिकार देवयकेराष्ट्रपति कार्यकारी होवयके शासन ब्यवस्था आ निर्वाचन प्रणालीके विषयमे काल्हि बैसयबला केन्द्रीय समितिक बैसारमे लिखित प्रस्ताव  प्रस्तुत हाएत जानकारी सेहो देलनि ।

सचिव गजुरेल कांग्रेस आ एमालेके कारण शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण कार्य जोखिममे परल आरोप लगौलनि । कांग्रेस आ एमाले माओवादीविरुद्ध १६ दलके मोर्चाबन्दी केने कारण जनसंविधान आ जनताके संघीय गणतन्त्र स्थापनके लेल एक भऽ क लडय पार्टी एकीकरण भेल जानकारी देलनि ।

प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई पार्टीके एजेण्डा लागू करय नहि सकिरहल आ मधेसी मोर्चाके मात्रे एजेण्डा लागु केलासँ आरोप लगबैत ओ तत्काल प्रधानमन्त्रीके पद छोडनाइ ठिक हाएत धारणा रखलनि । कांग्रेसे  अविश्वासके प्रस्ताव लाबयके तयारी कऽ रहलासँ ओइसँ आगुए प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देवय चाही सचिव गजुरेलक सुझाव छलनि ।

हतियार सहित ४ गोटे गिरफ्तार


रौतहटपुस २६ । ईलाका प्रहरी कार्यालय समनपुर रौतहटके टोली दु थान अबैध हतियार सहित ४ गोटेके बितल साँझ गिरफ्तार केलक अछि ।

जिल्लाके गम्हरिया पर्सा गाबिस-२ के सेख मुस्लिमबसबिट्टी जिङ्गडिया गाबिस-६ के देबनारायण साहकर्कच कर्मैया गाबिस-२ के बिन्देश्वर पासवान आ माधोपुर गाबिस-१ के रबिन्द्रप्रसाद साहके २ थान अबैध नलकटुवा पेस्तोल आ दु राउण्ड गोली सहित ईलाका प्रहरी कार्यालय समनपुरके टोली गिरफ्तार केने प्रहरी उपरीक्षक ठुले राई जानकारी देलनि ।

गम्हरिया पर्सा स्थित एक घरमे हत्याको योजना बना रहल अबस्थामे सुराकिके आधारमे पुलिस चारु गोटेके गिरफ्तार केने जनौलक अछि ।

पुलिस तीन गोटेके गिरफ्तार केलक

२६ पुष हजारीबागझारखंड । कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी आ दिल्ली पुलिस आयुक्त बीके गुप्ताके हालमें एक धमकी सहितक ई-मेल पठौने कहैत पुलिस  तीन गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।

हजारीबागके पुलिस अधीक्षक पंकज कंबोज कहलनि जे कांग्रेस अध्यक्ष आ दिल्ली पुलिस आयुक्तके धमकी सँ भरल एकटा ई-मेल प्राप्त भेल दिल्ली पुलिसस जानकारी मिललाबाद पुलिसके टीम कोरा क्षेत्रमें एकटा साइबर कैफ़े पर छापा मारि कऽ तीन गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।


साइबर कैफ़ेके हार्ड डिस्क आ नेटवर्किंग सिस्टम नियन्त्रणमे लेल गेल ओ जानकारी दैत कहलनि जे अहिके बिषयमे अखन अनुसन्धान भऽ रहलासँ बिस्तृत जानकारी देनाइ अखन ठिक नहि हाएत ।

बम बिष्फोटमे २० गोटेके मृत्यु


२६ पुष पाकिस्तान । पाकिस्तानके क़बायली क्षेत्रमे भेल एक बम बिष्फोटमे २० गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ ३० गोटे घाइल भेल अछि ।

एक वरिष्ठ अधिकारीके अनुसार ख़ैबर एजेंसीके तालुक़ा जमरूदमें बिष्फोट भेल छल । जाहिमे परि महिला आ बच्चाके सेहो मृत्यु भेल अछि । घाइलसबके पेशावरके अस्पतालसबमे इलाज चलिरहल अछि । हुनका अनुसार बिष्फोटनमे कतेकौ गाडीसब सेहो नष्ट भऽ गेल अछि आ बम एकटा गाड़ीमें राखल छल ।


सरकार समर्थक क़बायली लोगसबहक क्षेत्रमे बम बिष्फोट भेल अछि जे सब किछ समय पहिने सरकारके कहला पर चरमपंथीके सँग लड़ाई केने छल ।

स्थानीयबासीके अनुसार मृतकके सँख्या आओर बढि सकैत अछि । कियाक तऽ बिषफोटनके समय ओइठाम बहुत बेसी भिड छल ।

लडाकुद्वारा मकवानपुर बन्दक आहृवान


२६ पुसहेटौँडा । अनमिनके प्रमाणीकरणमे अयोग्य ठहर भऽ बहिर्गमनमे परल पूर्व माओवादी लडाकु आहृवान केने बन्दक कारण मकवानपुर जिल्लाके जनजीवन प्रभावित भेल अछि ।


बन्दक कारण यातायातबजार-दोकानशिक्षण संस्था आ कलकारखाना भिन्सरेसँ ठप्प अछि । बन्दकर्ता हेटौँडाका चोकचोकमे टायर बारि कऽ प्रदर्शन केलक अछि । अहिना बन्दक कारण पूर्वपश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत वीरगञ्ज-हेटौँडा आ नारायणगढ-हेटौँडा सडकखण्डमे यातायातके साधन चलय नहि सकल अछि । आकस्मिक रुपमे कएलगेल बन्दक कारण गन्तव्यमे चलल सयौं सर्वसाधारण समस्यामे परल अछि ।

पूर्वलडाकुसब अपनासब उपर लागल अयोग्यताके बिल्ला हटावयके आ उचित राहतके माँग करैत बन्दक आहृवान केने अछि । किछ दिन आगु सरकारसँग भेल वार्तामे सहमति भेलाबाद पूर्वलडाकु बन्द सहितक आन्दोलनके कार्यक्रम स्थगन केने छल ।

भारतीय सीमा सुरक्षा बलद्वारा मध्यरातिमे नेपाली उपर आक्रमण

इनरुवापुस २६ । भारतीय सिमा सुरक्षा वल एसएसबीके जवानसब नेपाली भूमिमे प्रवेश कऽ क सीमा क्षेत्रके वासीसबके घर घरेमे प्रवेश कऽ पिटपाट केलक अछि ।

बितलराति भारतीय सीमासंग जुडल सुनसरीके घुस्कीके बासीसबके हतियारधारी एसएसबी पिटपाट केलक अछि । एसएसबीके पिटाइसँ ९ गोटे घाइल भेल अछि ।

१५-२० गोटेके समूहमे आएल एसएसबी महिला पुरुष किछ नहि देख अन्धाधुन्द पिटपाट केने छल । घाइल मे सँ तीन गोटे महिला सेहो रहल अछि ।

एसएसबीके पिटाइसँ घुस्की ५ के कलमुद्धिन मियाँसलिम मियाँ ,तजमुल मियाँपरिविना खातुन,
रविना खातुन घाइल भेल पुलिस जनौलक अछि । अहिना पिटाइसँ घुस्की ६ के जिवराइल मियाँ,मतनी खातुनअल्जेबुल मियाँ आ नसमुद्धिन मियाँ सेहो घाइल भेल अछि । घाइलसबके स्थानीय क्लिनिकमे इलाज भऽ रहल अछि । 

Monday, 9 January 2012

माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसार स्थगित

२६ पुसकाठमाडौँ । आइके लेल बजाओलगेल एकीकृत नेकपा माओवादीक केन्द्रीय समिति बैसारस्थगित भेल अि 

सहमति प्रयसम शीर्ष नेताबीचक बिमर्श जारी रहलासँ बैसार स्थगन कएलगेल पोलिट्ब्युरो सदस्य हरिबोल गजुरल जानकारी देलनि  मुदा बैसारके नयाँ तिथि तय नहि भेल अछि । बैसार भिन्सर ११ बजेबाद पार्टी मुख्यालय कोटेश्वर पेरिसडाँडाम बजाओलगेल छल । संस्थापन  उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षबीच काल्हि भेल सहमतिके अन्तिम रुप देवय पदाधिकारी बैसार नयाँबजारस्थित अध्यक्ष प्रचण्डक निवासम जारी ि 

नागरिकता प्रस्ताव मन्त्रिपरिषदसँ फिर्ता


काठमाडौपुस २५ । जन्मके आधारमे नागरिकता लेने सबके सन्तानके सहज ढँगसँ वंशजके नागरिकता वितरण करयके प्रस्ताव मन्त्रिपरिषदसँ फिर्ता भेल अछि ।

बावु या मायके नागरिकता लेवय आगुए जन्म भेल सन्तानके वंशजके आधारमे नागरिकता प्रमाणपत्र देवय  नहि मिलत कहैत मन्त्रिपरिषदसँ पारित नहि करयके भेलाबाद गृह प्रस्ताव फिर्ता लेने सम्बद्ध स्रोत बतौलक अछि ।

प्रस्तावके उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार अगहन २० गते मन्त्रीस्तरीय निर्णय कऽ मन्त्रिपरिषदमे पेस करयके स्वीकृति देने छल । प्रस्तावित प्रावधान फेरबदल नहि कऽ मन्त्रिपरिषद् पारित नहि केलाबाद  फिर्ता लेने एक उपसचिव बतौलनि ।

'प्रधानमन्त्री विरुद्ध अविश्वासके प्रस्ताव आनबः महत'

काठमाडौंपुस २५ । कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य रामशरण महत प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई विरुद्ध अविश्वासके प्रस्ताव आनब बतदलनि अछि । प्रधानमन्त्री पदमे बैसयके नैतिक हैसियत गुमा चुकल दाबी करैत ओ बहुमत हवइते अविश्वासके प्रस्ताव आनयके खुलासा कलनि ।

अविश्वासके प्रस्ताव आनयके बिषयमे दलसबवीच बिमर्श भऽ रहल कहैत आइ रिपोर्टर्स क्लवके साक्षात्कारमे महत एखुनक अवस्था जारी रहत तऽ अविश्वासके प्रस्ताव आनयके विकल्प नहि रहल धारणा रखलनि ।

महत सात बुँदे सहमतिमे सेना समायोजन सम्बन्धी सम्पूर्ण बात स्पष्ट भेल अवस्थामे माओवादी अखन आबि कऽ सहमति विपरीत पहिने दर्जा निर्धारण आ ६ हजार ५ सय सँ बेसी समायोजन चुनने लडाकुसबके कि करयके सहितक बखेडा कऽ क शान्ति प्रक्रिया रोक्ने आरोप लगबैत शान्ति प्रक्रियाके माओवादी दुधगर गाई बनौने दावी कएलनि ।

ओ सहमति करयके आ कार्यान्वयन नहि करयके माओवादीके पुरने चरित्र दोहराएल कहैत फाइदा भेला पर सम्झौता करयके आ आरो समय कार्यान्वयन नहि करयके माओवादीक चरित्र स्पष्ट भेल दावी कएलनि । महत माओवादी लडाकुके हैसियत सेनाके रुपमे नहि स्विकारल गेलासँ सेनाके समूगत समायोजन कोनो हालतमे होवय नहि सकत ठोकुवा कएलनि । 

माओवादी केने सशस्त्र द्वन्द्व इतिहासेके सबसँ महंग भेल दाबी करैत महत २० अर्ब रुपैयाँ खर्चविकास निर्माणमे अवरोधलोकतन्त्रमे अवरोध आ हजारौके मृत्युके मुल्य चुकौने आरोप लगौलनि ।

डा महत सहिद गेटसँ त्रिभुवनके सालिक हटावयके निर्णय इतिहासके मेटाबयके षड्यन्त्र भेल कहैत ७ सालके आन्दोलनमे त्रिभूवन साथ लेलासँ काग्रेस ओइके सम्मान करत बतौलनि ।

फ्रिक्वेन्सी वितरणमे अनियमितता भेल लेखाके ठहर

२५ पुष काठमाण्डौ । व्यवस्थापिका संसदके सार्वजानिक लेखा समिति विभिन्न टेलिकम प्रदायक कम्पनीके फ्रिक्वेन्सी वितरणके क्रममे अनियमितता भेल ठहर केलक अछि ।

सभासद् डा प्रकाशचन्द्र लोहनी संयोजकत्वके उपसमिति देने प्रतिवेदन सर्वसम्मतिसँ पारित करैत लेखा फ्रिक्वेन्सी सम्बन्धमे थप छानविन करय अख्तियारके पठौलक अछि । लेखा समिति अप्टिकल फाइबर सहितक आवश्यक नीति बना कऽ लागू करय मन्त्रीपरिषदसूचना तथा संचार मन्त्रालयराष्ट्रिय योजना आयोगअख्तियार आ महालेखा परीक्षक कार्यालय सहितके लिख कऽ पठावयके निर्णय केने सभापति रामकृष्ण यादव जानकारी देलनि ।

मनविरे सुनारके हत्या छुवाछूतके कारण भेल दलित नेतासबहक निष्कर्ष

२५ काठमाण्डौ । दलित समुदायके अगुवा सभासद् आ नेतासब व्यवस्थापिका संसदसँ छुवाछूत ऐन पारित भेल लम्बा समय बितलाक बादो जातीय छुवाछूतके नाममे दुव्र्यबहार कायम रहल कहैत सरकारके आलोचना केलक अछि ।

व्यवस्थापिका संसदके महिला बालबालिका तथा समाजकल्याण समितिमे विभिन्न दलक नेता÷सभासदसब दलित उपर भेल आक्रमणके मदिरा पिने सँग तुलना कऽ क घटनाके अवमूल्यन कएल गेल बतौलक अछि । ओ सब छुवाछूतके घटनामे संलग्नके कार्वाही करय प्रशासन सक्रिय नहि भेल आरोप लगौलक अछि ।

एकीकृत माओवादीक तिलक परियारनेपाली काङ्गे्रसक खड्गबहादुर बस्याल सार्कीएमालेक पुरनसिंह दयाल सहितकसब कालिकोटमे मनविरे सुनारदैलेखके सेते दमाइ आ तनहुँके घाँसी कुवामे पानी लेवयके क्रममे दलित उपर मरय जका  भेल आक्रमणके दोषीके कारवाही करय माँग सेहो केलक अछि ।

भ्रष्टाचार मुद्दाके फैसलाक तिथि फेउर घुसकल

काठमाडौंपुस २५ । सूचना तथा सञ्चार मन्त्री जयप्रकाश प्रसाद गुप्ताके भ्रष्टाचार मुद्दाके फैसलाक तिथि फेउर घुसकल अछि ।

फैसलाके पूर्णपाठ तयार होवय नहि सकल कहैत फागुन ९ गते धरिके लेल घुसकाओलगेल अछि । न्यायाधीशद्वय सुशीला कार्की आ तर्कराज भट्टके संयुक्त इजलाससँ गुप्ताके भ्रष्टाचार मुद्दाके किनारा लगावय लागल छल । सर्वोच्चमे विचाराधिन मुद्दाक सुनुवाई अगहन २१ गते समाप्त होइतो फैसला सुनावयके मिति एक महिनाबाद तोकलगेल छल ।

अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग मधेसी जनअधिकार फोरम (गणतान्त्रिक)के अध्यक्ष समेत रहल गुप्ता उपर २ करोड ८ लाख ८ हजार गैरकानुनीरुपमे कमौने कहैत २०५९ साल चैत ६ गते विशेष अदालतमे मुद्दा दायर केने छल । विशेषके तत्कालिन अध्यक्ष भूपध्वज अधिकारी सम्पत्तिके स्रोत खुजल कहैत हुनका २०६४ साल जेठ २४ गते सफाई देने छल ।

विशेषके फैसला विरुद्ध सरकार २०६४ साल कात्तिक २२ गते सर्वोच्च अदालतमे पुनरावेदन देने छल ।