Thursday 6 October 2016

दशमीक आइ सातम दिन षष्ठी, आई बेलनौती

आसिन २१, जनकपुरधाम । दशमीक आइ सातम दिन षष्ठी, आई बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसभमे माता कात्यानीके पुजा कएल जा रहल अछि ।

आजुक दिन दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो माता कात्यानीके बिभिन्न मन्त्रोच्चारण सहित पुजा पाठ केलनि अछि ।
दशमीमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बना पुजा पाठ कएल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि । 
राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न  ९ टा स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि ।
अहिबिच, आई जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसँ पैघ सँख्यामे श्रद्धालुसब बाजागाजाके साथ बेलनौती कार्यक्रमके लेल प्रस्थान करत । आइ बेलके बिधिपुर्वक पुजा पाठ क नौतल जाएत । आइ नौतल बेलके काल्हि तोरि क लाओल जाएत जकरा बेलतोडी सेहो कहल जाति अछि । एनाक बिधिपुर्वक बेल तोरि क अनलाक बाद काल्हि माताक श्रृगाँर सेहो कएल जाएत ।

No comments:

Post a Comment