Wednesday 5 October 2016

दशमीक छठम दिन, पँचमी तिथके कारण स्कन्धमाताक पुजा

आसिन २०, जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आई छठम दिन जनकपुर सहितक नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानमे स्कन्ध माताके पुजा कएल जा रहल अछि ।
पुजा करय लेल आइ भिन्सरेसँ बिभिन्न शक्तिपिठ, उच्चैठ तथा दुर्गा मन्दिरसबमे श्रद्धालुसबहक भिड देखल गेल अछि । आइ शक्ति स्वरुपा स्कन्धमाताके बिभिन्न मठ मन्दिर तथा गाम गामसँ शहरधरि पुजा कएल जा रहल अछि । अहिबेर तिथके गडबडीके कारणसँ दशमीके छठम दिन स्कन्धमाताके पुजा कएल जारहल अछि । ओना आई दशमीके छठम दिन होईतो पँचमी तिथ परलाक कारण स्कन्धमाताक पुजा कएल जारहल अछि । अहिबेर द्धितिया २ दिन परल छल । आजुक दिन दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो स्कन्धमाताके बिभिन्न मन्त्रोच्चारण सहित पुजा पाठ केलनि अछि । दशमीमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बनाक सेहो पुजा पाठ कएल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि ।  राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न  ९ टा स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि । अहिबिच, काल्हि षष्टीके जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसँ पैघ सँख्यामे श्रद्धालुसब बाजागाजाके साथ बेलनौती कार्यक्रममे सहभागी हाएत । काल्हि बेलके नौतल जाएत । काल्हि नौतल बेलके परसु सप्तमी तिथके तोरि क लाओल जाएत जकरा बेलतोडी सेहो कहल जाति अछि । एनाक बिधिपुर्वक बेल तोरि क अनलाक बाद परसु माताक श्रृगाँर सेहो कएल जाएत ।

No comments:

Post a Comment