Monday 9 January 2012

फ्रिक्वेन्सी वितरणमे अनियमितता भेल लेखाके ठहर

२५ पुष काठमाण्डौ । व्यवस्थापिका संसदके सार्वजानिक लेखा समिति विभिन्न टेलिकम प्रदायक कम्पनीके फ्रिक्वेन्सी वितरणके क्रममे अनियमितता भेल ठहर केलक अछि ।

सभासद् डा प्रकाशचन्द्र लोहनी संयोजकत्वके उपसमिति देने प्रतिवेदन सर्वसम्मतिसँ पारित करैत लेखा फ्रिक्वेन्सी सम्बन्धमे थप छानविन करय अख्तियारके पठौलक अछि । लेखा समिति अप्टिकल फाइबर सहितक आवश्यक नीति बना कऽ लागू करय मन्त्रीपरिषदसूचना तथा संचार मन्त्रालयराष्ट्रिय योजना आयोगअख्तियार आ महालेखा परीक्षक कार्यालय सहितके लिख कऽ पठावयके निर्णय केने सभापति रामकृष्ण यादव जानकारी देलनि ।

No comments:

Post a Comment