Tuesday 10 January 2012

भारतीय सीमा सुरक्षा बलद्वारा मध्यरातिमे नेपाली उपर आक्रमण

इनरुवापुस २६ । भारतीय सिमा सुरक्षा वल एसएसबीके जवानसब नेपाली भूमिमे प्रवेश कऽ क सीमा क्षेत्रके वासीसबके घर घरेमे प्रवेश कऽ पिटपाट केलक अछि ।

बितलराति भारतीय सीमासंग जुडल सुनसरीके घुस्कीके बासीसबके हतियारधारी एसएसबी पिटपाट केलक अछि । एसएसबीके पिटाइसँ ९ गोटे घाइल भेल अछि ।

१५-२० गोटेके समूहमे आएल एसएसबी महिला पुरुष किछ नहि देख अन्धाधुन्द पिटपाट केने छल । घाइल मे सँ तीन गोटे महिला सेहो रहल अछि ।

एसएसबीके पिटाइसँ घुस्की ५ के कलमुद्धिन मियाँसलिम मियाँ ,तजमुल मियाँपरिविना खातुन,
रविना खातुन घाइल भेल पुलिस जनौलक अछि । अहिना पिटाइसँ घुस्की ६ के जिवराइल मियाँ,मतनी खातुनअल्जेबुल मियाँ आ नसमुद्धिन मियाँ सेहो घाइल भेल अछि । घाइलसबके स्थानीय क्लिनिकमे इलाज भऽ रहल अछि । 

No comments:

Post a Comment