Monday, 29 June 2015

आई असार १५ अर्थात धान दिवस

असार १५, जनकपुरधाम । आई असार १५ अर्थात धान दिवस । धनुषा सहितक देशके विभिन्न स्थानमे  धान दिवस धान रोपनी क मनाओल जारहल अछि ।

संयुक्त राष्ट्रसङ्घ सन् १९६६ के भुकमरीसँ मुक्त नारासहित धानबालीके वर्ष बालीके रूपमे मनावयके घोषणा केने छल । नेपाल विसं २०६२ सँ असार १५ के धान दिवसके रूपमे मनाबिरहल अछि ।
वर्षेपिच्छे कृषिमे परनिर्भरता बढैत गेलाक कारण  उत्पादन बढावयके उद्देश्यसँ नेपालमे धान दिवस मनावय लागल अछि ।
धानबालीके लेल योग्य कूल करिब १४ लाख २५ हजार हेक्टर जमिनमेसँ असार १४ धरि ८ प्रतिशतमात्रे रोपनी भेल कृषि मन्त्रालयके सहप्रवक्ता शङ्करप्रसाद सापकोटा जानकारी देलन्हि ।

Thursday, 14 August 2014

सरकार १२ नेपाली एक चिहानके प्रदर्शन करबाक अनुमति देलक

दश बर्ष आगु ईराकमे घटल एकटा घटना उपर बनल फिल्म १२ नेपाली एक चिहानके सरकार प्रदर्शन करबाक अनुमति देलक अछि ।
प्रदर्शन रोकय किछ महिना आगु विरोध भेलाबाद सेन्सर बोर्डके पदाधिकारीसभ सेहो ओ फिल्मके सेन्सर नहि करयके अडान लेने छल । 
फिल्मके दुटा दृश्य उपर ब्लर करयके निर्देशन आ गार्जियन विना बच्चासभके फिल्म देखावय नहि पावयके निर्णय बोर्ड कएने फिल्मक निर्देशक प्रधान जानकारी देलन्हि अछि ।
पाँच बर्षक अध्ययन आ मेहनत लगाकऽ बनाओलगेल ओ फिल्मके सम्पूर्ण  प्रक्रिया पहुँचाकऽ मात्र सुटिङ कएलगेल निर्देशक प्रधानक दाबी छन्हि । ओ अहि फिल्मके ड्रिम  प्रोजेक्ट सेहो कहने छथि ।
२०६१ साल भादव १५ गते ईराकामे मारलगेल १२ नेपाली युवासभके सत्य कथाके फिल्म देखाओत मुदा मारलगेल युवासभके परिवारके आग्रह बमोजिम भादव १५ मे फिल्म प्रदर्शन नहि करय दुनु पक्षबीच सहमति भेल अछि ।
आवय लागल अगहन महिनामे प्रदर्शन करबाक लक्ष्य राखल गेल ओ फिल्मके आसिन महिनामे हङकङ, मकाऊ आ सिंगापुरमे सेहो प्रदर्शन करबाक तयारी भऽरहल निर्देशक जानकारी देलन्हि ।

Monday, 11 August 2014

गुणस्तरहिन काम भऽरहल कहैत जनकपुर युथ डेवलपमेन्ट फोर्सक आपत्ती

धैर्य कान्त दत्तजनकपुरधामसाउन-२७ । गुणस्तरहिन काम भऽ रहल कहैत जनकपुर युथ डेवलपमेन्ट फोर्स सडक निर्माण कार्य बन्द करौलक अछि । जनकपुरक रामानन्द चोक- जानकी मंदिर सडक खण्डमे सडक कार्यालय करैत आएल पिच गुणस्तरहिन रहल कहैत फोर्सक युवासभ रबिदिन साँझेसँ निर्माण कार्य बन्द करौलक अछि ।
सडक पक्की करैत काल अपनाओल जाएबला मापदण्ड नहि अपनाओल गेलासँ निर्माण कार्य बन्द करौने फोर्सक संयोजक समिति सदस्य सरोज मिश्रक दावी छन्हि । मिश्र सडकमे रहल बालु उपर पक्की कऽरहल देखलाबाद अपनेसभ निर्माणक काज बन्द करय लगौने जानकारी देलन्हि ।
फोर्सक संयोजक समितिक दोसर सदस्य ज्ञानेन्द्र झा ज्ञानु गुणस्तरहिन तरिकासँ पक्की भऽ रहल विषयमे सडक कार्यालयके प्रमुख देवेन्द्र साहके जानकारी कराचुकल बतौलन्हि । प्रमुख साह निर्माण कार्यके अनुगमन करय प्राविधीकके एक टोली पठाओत बातक जानकारी झा देलन्हि ।

प्राविधीकसभ अनुगमन कएलाक बाद मात्रे निर्माण कार्य आगु बढाबऽके बात साह कहने फोर्स जनौलक अछि ।

Wednesday, 6 August 2014

अपडेटः सिन्धुपाल्चोकमे फेउरसँ दोसर पहाड खसयके सम्भावना, सुनकोशीके रुकावट खोलयके प्रयास जारी


साउन २२ गते, सिन्धुपाल्चोक, ब्रम्हानन्द ठाकुर । सिन्धुपाल्चोकके माँखा गाविसके जुरे भञ्ज्याङ स्थित सुनकोशी नदिमे भेल घटनाके एक सप्ताह नहि बितैत फेउरसँ दोसर पहाड ढहयके खतरा बनल अछि ।
ई दोसर पहाड पहिने खसल ठामक माँखा गाविसके ५ नम्बर वडामे खसके सम्भावना रहल विज्ञसभ जनौलक अछि । ई पहाड ढहलाक बाद माँखा गाविसके वाड नम्बर ४ के १८ टा घर पुर्णरुपसँ डुबिजेबाक खतरा बनल स्थानिय प्रमुख जिल्ला अधिकारी गोपाल प्रसाद पराजुली जानकारी देलन्हि अछि ।
बितल शुक्रक राति पहाड ढहिकऽ सुनकोशी नदिके पानिकऽ बहाब रुकलाक बाद ‍ओत्तय भेल घटनामे बेपत्ता रहल कुल १२३ गोटेके मृत मानिकऽ स्थानिय प्रशासन राहत प्रक्रिया आगु बढाचुकल अछि ।

घटनामे मृत्यु भेलसभहक परिवारके ४० हजार रुपैया राहत स्वरुप देवाक निर्णय कएल गेल अछि तऽ घर दहागेलसभके प्रति घर ५ हजार आ घाईलसभके ईलाजक पुर्जीके हिसाबसँ राहत वितरण कएल जा रहल स्थानिय डिएसपी भरत बहादुर बोहराके उदैत करैत सिन्धुपाल्चोक सहकर्मी ब्रम्हानन्द ठाकुर जानकारी देलन्हि अछि । एम्हर उद्धोग बाणिज्य सँघ सिन्धुपाल्चोक राहत वितरणके लेल कुल ४८ लाख रुपैया स्थानिय बासी ब्यापारी आ कार्यालयसभसँ सँकलन कएने अछि तऽ सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारीके अध्यक्षतामे गठन भेल राहत वितरण टोली कुल ९१ लाख नगद सँकलन कएने अछि ।
बान्ह जँका नदी घेराएलाबाद बनल तलाउके पानिऽ बान्हके उपरसँ बहितो पुरा पानिकऽ निकास अखनोधरि होबऽ नहि सकल अछि । पुर्ण रुपसँ पहिने जका होबयमे अखनो एक हप्ता लागत उद्धारमे सँलग्न सेनाके कहब अछि । ओना बिच बिचमे सेना बम बिष्फोट क निकास देबाक प्रयासमे लागल बताओल गेल अछि । आइयो नेपाली सेनासभ ओईठाम बिष्फोट कऽ नदी खुलाबऽके प्रयासके निरन्तरता देत जानकारीमे आएल अछि । पहाड ढहिकऽ नदीमे बडका चटान खसलास बिष्फोटमे दिक्कत भऽरहल नेपाली सेनाक कहब अछि । बान्ह करिब ५०० मिटर उँच रहलाक कारण ओईठाम तलाउ जेहन अवस्था रहल अछि आ नदी खुलाबऽमे समय लागिरहल जनाओलगेल अछि । स्थानिय प्रशासन १२३ गोटेके बेपत्ता रहल सुचिमे राखि तत्काल राहत बितरण कऽ रहल अछि । अखनधरि ओईठाम ३४ गोटेके शव भेटचुकल अछि । अखन एक्साभेटर आ डोजरसभहक मदतसँ ढहल पहाडके हटाबके आ मृतकसभके खोजबाक काज कएल जारहल अछि ।
उद्धार कार्यमे नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ स्थानियबासी जुटल अछि ।
तहिना सुनकोशीके ताण्डबसँ अरनिको राजमार्गके करिब डेढ किलोमिटर सडक दहागेलासँ कोदारी नाका बन्द भेल अछि । जाहि कारण नेपाल चिनके तातोपानी नाका ठप्प भेल अछि । अहिके देखैत अरनिको राजमार्गके बैकल्पिक बाट बना कऽ तातोपानी नाकाके चिनसँ जोडबाक प्रयास कएल जएबाक प्रयास भऽ रहल अछि । अहि नाकासँ दैनिक करौडौ राजश्व उठैत आएल छल ।

सुनकोशी नदी घेराएलाबाद ७ टा जलबिद्धुत आयोजनासँ होइत आएल ६७ मेगावाट बिद्धुत उत्पादन सेहो ठप्प भेल नेपाल विद्युत प्राधिकरण जनौलक अछि । जाहि कारणसँ थप डेढ घण्टा लोडसेडिङ बढ सकबाक प्राधिकरण जनौलक अछि । जिल्लाके ५५ गाविसमे विद्युत् आ टेलिफोन लाइन बन्द भेल अछि तऽ काठमाडौँसँ खासाधरि ओछयाओल अप्टिकल फाइभरके लाइन सेहो खराब भेल बताओलगेल अछि ।

Tuesday, 5 August 2014

अपडेटः सिन्धुपाल्चोकमे १२३गोटेके कएल गेल मृत घोषित, राहत वितरण कएल जा रहल

सिन्धुपाल्चोकके माँखा गाविसके जुरे भञ्ज्याङ स्थित सुनकोशी नदिमे भेल घटनामे बेपत्ता रहल १२३ गोटेके स्थानिय प्रशासन मृत घोषित केलक अछि ।

बितल शुक्रक राति पहाड ढहिकऽ सुनकोशी नदिके पानिकऽ बहाब रुकलाक बाद ‍ओत्तय भेल घटनामे बेपत्ता रहल आ भेटल शव सहित कुल १२३ गोटेके मृत मानिकऽ स्थानिय प्रशासन राहत प्रक्रिया आगु बढौने स्थानिय प्रमुख जिल्ला अधिकारी गोपाल प्रसाद पराजुली जानकारी देलन्हि अछि ।
घटनामे मृत्यु भेलसभहक परिवारके ४० हजार रुपैया राहत स्वरुप देवाक निर्णय कएल गेल अछि तऽ घर दहागेलसभके प्रति घर ५ हजार आ घाईलसभके ईलाजक पुर्जीके हिसाबसँ राहत वितरण कएल जा रहल स्थानिय डिएसपी भरत बहादुर बोहराके उदैत करैत सिन्धुपाल्चोक सहकर्मी ब्रम्हानन्द ठाकुर जनौलन्हि अछि । एम्हर उद्धोग बाणिज्य सँघ सिन्धुपाल्चोक राहत वितरणके लेल कुल ४८ लाख रुपैया स्थानिय बासी ब्यापारी आ कार्यालयसभसँ सँकलन कएने अछि ।
बान्ह जँका नदी घेराएलाबाद बनल तलाउके पानिऽक निकास अखनोधरि होबऽ नहि सकल अछि । सेना काल्हि २ टा बम बिष्फोट क निकास देबाक प्रयास केने छल । आइयो नेपाली सेनासभ ओईठाम बिष्फोट कऽ नदी खुलाबऽमे लागल बताओलगेल अछि । पहाड ढहिकऽ नदीमे बडका चटान खसलास बिष्फोटमे दिक्कत भऽरहल नेपाली सेनाक कहब अछि । बान्ह करिब ५०० मिटर उँच रहलाक कारण ओईठाम तलाउ जेहन अवस्था रहल अछि आ नदी खुलाबऽमे समय लागिरहल जनाओलगेल अछि । स्थानिय जनताके मुताबिक १५६ गोटे सम्पर्क बिहिन रहितो प्रशासन १२३ गोटेके मात्र बेपत्ता रहल सुचिमे राखि राहत बितरण कऽ रहल अछि । अखन ओतय स्थानिय प्रशासन आ सुरक्षाकर्मी बेपत्ता भेलसभहक खोजतलाश के सँगहि नदी खुलाबऽमे लागल अछि । जल्दीए नदीके पानिकऽ निकास नहि भेल तऽ भारतकऽ दरभँगा धरि क्षति पहुँच सकबाक अधिकारीसभ जनौलन्हि अछि ।
अखन ओतय एक्साभेटरसभहक मदतसँ ढहल पहाडके हटाबके आ मृतकसभके खोजबाक काज कएल जारहल अछि ।
उद्धार कार्यमे नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ स्थानियबासी जुटल अछि ।
तहिना सुनकोशीके ताण्डबसँ कोदारी नाका बन्द भेलासँ नेपाल चिनके तातोपानी नाका ठप्प भेल अछि । अहिके देखैत अरनिको राजमार्गके बैकल्पिक बाट बना कऽ तातोपानी नाकाके चिनसँ जोडबाक प्रयास कएल जएबाक निर्णय भेल अछि । अहि नाकासँ दैनिक करौडौ राजश्व उठैत आएल छल ।

सुनकोशी नदी घेराएलाबाद ७ टा जलबिद्धुत आयोजनासँ होइत आएल ६७ मेगावाट बिद्धुत उत्पादन ठप्प भेल अछि ।२.५ मेगावाटके सानिमा हाइड्रोपावर४५ मेगावाटके भोटेकोशी१० मेगावाटके सुनकोशी३ मेगावाटके चाकुखोला१.८ मेगावाटके मध्यचाकुखोला आ १.६ मेगावाटके निचला चाकुखोला सहित ३ मेगावाटके भैरवकुण्ड जलविद्यूत आयोजनासँ विद्यूत उत्पादन अवरुद्ध भेल नेपाल विद्युत प्राधिकरण जनौलक अछि  । जाहि कारणसँ थप डेढ घण्टा लोडसेडिङ बढ सकबाक प्राधिकरण जनौलक अछि । जिल्लाके ५५ गाविसमे विद्युत् आ टेलिफोन लाइन बन्द भेल अछि तऽ काठमाडौँसँ खासाधरि ओछयाओल अप्टिकल फाइभरके लाइन सेहो खराब भेल बताओलगेल अछि ।

सुनकोशी बाढिसँ पीडितसभहक लेल अख्तियारद्धारा ४ लाखसँ बेसीके सहयोग

२० साउन, काठमाडौं । अख्तियार दुरूपयोग अनुसन्धान आयोगक प्रमुख आयुक्त लोकमान सिंह कार्कीसहित कर्मचारीसभ सुनकोसी बाढि पीडितसभके ४ लाखसँ बेसी रकम सहयोग केलनि अछि ।
प्रमुख आयुक्त कार्की ७ दिन, आयुक्त केशव बराल तीन दिनक आ सचिव दु दिनक तलब सहयोग केलनि अछि । अहिना आयोगके क्षेत्रीय आ सम्पर्क कार्यालयके सेहो कर्मचारी एवं विज्ञसभ १ दिन बरावरके तलबसँ सहयोग केलनि अछि ।
कुल ४ लाख १२ हजार ९०८ रूपैयाँ प्रधानमन्त्री दैवि प्रकोप तथा उद्धार एवं राहत कोष मार्फत राहत रकम सहयोग प्रदान करयके निर्णय कएलगेल अख्तियार जनौलक अछि ।

सुनकोशी नदीमे भेल घटनाक किछ तस्वीरसभ